भारत के पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम के देहांत भ् गेलैन। पीटीआई केर खबर के मुताबिक हार्ट अटैक सं शिलॉंग में हुनकर निधन भेलैन। अब्दुल कलाम 84 वर्ष के छलाह।एपीजे अब्दुल कलाम सोम दिन शिलॉंग स्थित भारतीय प्रबंधन संस्थान के एगो कार्यक्रम में लेक्चर दैत रहथिन ओहि समय हुनकर तबियत अचानक बिगड़ गेलै, आ ओ गिर परलाह्। गंभीर हालत में हुनका अस्पताल में भर्ती कराओल गेल। जता हुनकर निधन भ् गेल। मिसाइल मैन सं मशहूर अब्दुल कलाम शिलॉग जाई सं पाहिले अप्पन आखिरी ट्वीट केने रहैथ कि "शिलॉंग जा रहा हूं, लिवेबल प्लेनेट अर्थ पर आईआईएम में एक कार्यक्रम में भाग लेने" मिसाइल मैन आ देश के 11 वां राष्ट्रपति केर निधन के खबर सं पूरा देश में शोक के लहर दौड़ गेल अई। देश में सात दिन के राष्ट्रीय शोक के ऐलान कैल गेल अई।
हार्ट अटैक से भेल मौत मीडिया रिपोर्ट के मुताबिक लेक्चर के दौरान हुनका सीना में दर्द भेलैन। जकर बाद हुनका अस्पताल में भर्ती कराओल गेल, जता डॉक्टर सब हुनका मृत घोषित कं देलकैंन। कलाम सोम दिन शिलांग के भारतीय प्रबंधन संस्थान में लेक्चर के लेल गेल छलाह। अस्पताल केर चिकित्सक जॉन साइलोबैथानी बतेला की हुनकर हार्ट अटैक सं मौत भेलैन।कलाम केर जन्म रामेश्वरम में 15 अक्टूबर 1931 कं भेल रहैन् ।बतां दि जे अब्दुल कलाम वर्ष 2002 सं 2007 तक देश के राष्ट्रपति रहलाह। हुनका 1997 में भारत रत्न सं सेहो सम्मानति कैल जा चुकल अछि। एकर अलावा ओ कतेको किताब सेहो लिखने छैथ। खबर के मुताबिक पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम केर पार्थिव शरीर कैल दिल्ली लैल जैत आ रामेश्वरम में हुनकर अंतिम संस्कार कैल जाइत।
apanmithila.in टीम के तरफ सं पूर्व राष्ट्रपति भारत रत्न डॉ. ए.पी.जे. अब्दुल कलाम के अश्रुपूरित श्रद्धांजलि।
 
Top