मिथिला स्टूडेंट यूनियन केर दिल्ली इकाई अपन विभिन्न मांग के लं कं आगामी 24 जुलाई कं शुक्रदिन भोरे 10 बजे जंतर मंतर पर विशाल धरना प्रदर्शन कर जा रहल अछि। अई बात के जानकारी दैएत यूनियन के दिल्ली प्रभारी अरविन्द कुमार मिश्र बतेला जे मिथिला स्टूडेंट यूनियन दरभंगा , सहरसा और पूर्णिया के स्मार्ट सिटी में शामिल करं, दरभंगा में आईटी पार्क केर स्थापना, मधुबनी में केन्द्रीय विद्यालय केर स्थापना, मिथिला में AIIMS केर स्थापना, दरभंगा में इंटरनेशनल एयरपोर्ट केर स्थापना, मिथिला क्षेत्र के बंद कल कारखाने केर चालू करनाई, मिथिला केर लोग के रोजगार उपलब्ध करेंनाई, दरभंगा में IIIT केर स्थापना करेंनाई, योगगुरु धीरेन्द्र ब्रह्मचारी के उचित सम्मान दिएनाई, डी डी मैथिली केर स्थापना, CTET में मैथिली भाषा केर शामिल करनाई, मैथिली भाषा के प्राथमिक शिक्षा में शामिल केनाई,माँ जानकी केर जन्मस्थली सीतामढी के पर्यटन के रुप में मानचित्र में शामिल केनाइ जेहन मुख्य मांगक साथ जंतर-मंतर पर आंदोलन करताह। आंदोलन में भाग लेब के लेल मिथिला क्षेत्र के विभिन्न संगठन अपनी सहभागिता दर्ज करेताह। आंदोलन के तेज करबाक लेल यूनियन केर कार्यकर्त्ता जोर-शोर सं लोग के अई सं जोड़ आ आमंत्रित करं के काज कं रहल छैथ। उम्मीद अई जे आगामी 24 जुलाई कं मिथिला आंदोलन के इतिहास में ई सबसं बड़का आंदोलन साबित होयत।
Home
»
»Unlabelled
» मिथिला स्टूडेंट यूनियन के दिल्ली में विशाल धरना प्रदर्शन 24 कं
Recent Posts
शान स्ं लहरैल तिरंगा
15 Aug 2015undefinedलाल किला केर प्राचीर सं पीएम नरेंद्र मोदी दोसर बेर राष्ट्रीय ध्वज फहरेला।अई सं पहिले पीए...[...]
पूर्व राष्ट्रपति भारत रत्न डॉ. ए.पी.जे. अब्दुल कलाम आब नै रहलाह।
27 Jul 2015undefinedभारत के पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम के देहांत भ् गेलैन। पीटीआई केर खबर के मुताबिक हार्ट...[...]
डीडी बिहार पर प्रदर्शित होयत मैथिली धारावाहिक: एस. एन. झा के गजबे दुनिया
10 Jul 2015undefinedमैथिली भाषाक उत्कर्ष ऊपरमुखी बनि रहल अछि। डीडी बिहार पर १६ जुलाई सँ प्रत्येक वृहस्पति दिन संध्...[...]
बीएसएनएल द्वारा शुरू केलऽ गेल मैथिली मे मोबाइल पर उद्घोषणा
16 Jun 2015undefinedमिथिला मैथिली आंदोलन कें एकटा आओर सार्थक डेग तखन भेटल जखन भारत संचार निगम लिमिटेड अर्थात बीएसएनए...[...]