लाल किला केर प्राचीर सं पीएम नरेंद्र मोदी दोसर बेर राष्ट्रीय ध्वज फहरेला।अई सं पहिले पीएम के गार्ड आॅफ आॅनर केर सलामी देल गेल।मोदी राजघाट पहुंच कं महात्मा गांधी के श्रद्धाजंलि देलाह।पीएम मोदी लाल किले केर प्राचीर सं कहला कि ई सबेरा पूरा सवा सौ करोड देशवासि के संकल्प केर सवेरा अछि।आजादी के सपूतों के नमन करैथ मोदी कहला जे देश में एकता,सरलता व सद्भाव ही हमर पूंजी अछि।हम प्रधानमंत्री बीमा योजना व अटल पेंशन योजना के शुरुआत केलौ।हम जे कहलौ वो केलौ।लगभग 17 करोड लोग के बैंक में खाता खुलवा कं एक साल में 20 हजार करोड रुपये बैंक में जमा करा देलौ।ओ कहला जे जातिवाद और सांप्रदायवाद के पनपं नइ देबाक अछि।सवा सौ करोड के ई टीम इंडिया अई।मोदी रिटायर्ड फौजियो केर लेल वन रैंक वन पेंशन के स्कीम पर खुलासा करैत कहला जे अई स्कीम के सैद्धांतिक रुप सं मंजूरी मिल गेल अई।बातचीत अंतिम दौर मे अई।मोदी कहला जे गैस सब्सिडी पर हुनकर अपील सं 20 लाख लोग सब्सिडी लेनाई छोड़ि देलाह।हरेक साल 15 हजार करोड रुपया सब्सिडी के नाम पर चोरी भेनाइ आब बंद भ् गेल।पीएम मोदी कहला की देश केर पूर्वी हिस्से केर विकास कैल बिना हिन्दुस्तान आगा नै बईढ़ सकईया। यूपी,बिहार,बंगाल,आसाम के आगा बढ़ाब्ं के अई।किसान के जतेक यूरिया चाहि,उपलब्ध कराओल जायत।ओ कहला कि भ्रष्टाचार पर सरकार गंभीर अछि।सीबीआई के पास भ्रष्टाचार केर 1800 केस आयल आ काला धन पर एसआईटी जांच चैल रहल अछि।
Home
»
»Unlabelled
» शान स्ं लहरैल तिरंगा