बिहार मे राजनीतिक संकट लगातार सातम आसमान पर चढ़ल जा रहल अछि। हालांकि मौसम एखन अनुकूल छैक, समय वसंतक छैक आ वसंत मे कहल जाइत छैक जे सब किछु मे नव ऊर्जा ओ स्फुर्ति भेटैक छैक मुदा बिहार सियासी समीकरण जेठक दुपहरिया जेना धीपल बुझाइत अछि। मंगलदिन जेडीयूक राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव एकटा फैसला सुनावैत सूबेक सियासत मे जाहि तरहक आगि लगेवाक काज केलैन्हि ओहिक बाद राजनीतिक मौसम आओर बेसी गर्म हेवाक पूर्ण संभावना अछि। शरद यादव, मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी समर्थक 7 गोट मंत्री कें मंगलदिन जेडीयू सं निलंबित कऽ देलाह।
जाहि मंत्री कें पार्टी सं निलंबित कैल गेलनि अछि ओ छैथ सूबेक पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्रक पुत्र आ मिथिला क्षेत्र सं पार्टीक कद्दावर चेहरा नीतीश मिश्र, सम्राट चैधरी, शाहिद अली, महाचंद्र प्रसाद, भीम सिंह, नरेंद्र सिंह ओ वृषिन पटेल। ओम्हर निर्दलीय विधायक ओ मांझी सरकार मे कला एवं संस्कृति मंत्री विनय बिहारी सहित अन्य मंत्री मांझी समर्थक मंत्री कें प्रदेश जेडीयू अध्यक्ष विशष्ठ नारायण सिंह 2 फरवरी कऽ मंत्रीमंडल सं त्यागपत्र देवाक बात कहलनि मुदा ओ लोकैन्हि त्यागपत्र नहि देलाह।
जेडीयूक द्वारा उठाओल गेल वर्तमान डेगक बाद सूबे मे मुख्य विपक्षी पार्टी बीजेपी सेहो सक्रिय भ चुकल अछि। विधान सभा मे नेता प्रतिपक्ष नंदकिशोर यादव कहलनि जे बीजेपी समस्त घटनाक्रम पर नजैर टिकौने अछि आ हमरा सब समस्त विकल्प खोलने छी आ जेहन जे स्थिति बनैतक हम सब ओहि अनुरूपे कोनो आगुक फैसला लेब। ओम्हर बीजेपीक विधायक दल के बैसार बुधदिन छैक जाहिमे 20 तारिख कऽ होइ वला घटनाक्रम पर चर्चा कैल जाएत। आब ई देखब दिलचस्प हैत कि आखिर पार्टी द्वारा निलंबित कैल गेल मंत्री ओ किछु पूर्व बागी विधायकक केहन तेवर आगामी 20 फरवरी ओ ओहि कें बाद देखवा मे भेटत ओ त समय बताओत मुदा वर्तमान मे सूबे मे राजनीतिक पारा गर्म अछि आ अहिक कें ताव सं के झड़कत ओ कें बांचत ओ समय बताओत।

साभार:- मिथिला मिरर