दिल्ली मे भेल विधानसभाक चुनाव मे बारहैन एक फेर जमि कय चलल। झाडू बारहैन सं प्रायः देशक सबसं पैध पार्टी कांग्रेस आ बीजेपी केर जे स्थिति भेल ओ अपने लोकनिक सोझा अछि। एहि चुनाव परिणाम मे जतय शुन्ना पर आउट भय गेल तअ बीजेपी केर स्कोर 3 पर आबैते-आबैते ढहि गेल। ओना इ चुनाव मे एकबेर फेर मिथिलावासीक लेल खुशखबरी लय आएल। जाहि में शालीमार बाग सं ‘आम आदमी पार्टीक’ उम्मीदवार वंदना कुमारी अपन निकटतम प्रतिद्वंदी बीजेपीक उम्मीदवार रेखा गुप्ता कें लगभग 10988 वोट सं पराचित कय दुबारा दिल्लीक विधान सभा मे अपन जीत दर्ज करबेलनि। जाहि में वंदनाक लगभग 62656 मत आ निकटतम प्रतिद्वंदी रेखा गुप्ता केर 51678 मत प्राप्त भेटलनि। वंदना बहुत दिन सं गरीब आ असहाय महिलाक लेल लड़ैत आबि रहल छथि जाहि में घरेलु हिंसा सं लय आन-आन तरहक समस्या शामिल अय। वंदना एकटा सामाजिक संगठन सेहो चला रहलि अछि जेकर नाम छैक ‘नई पहल’ इ संस्था महिलाक अधिकार आ सशिक्तिकरणक उपर कार्य कअ रहलि अछि। apamithila.in मैथिलक बेटीक हार्दिक बधाई आ कोटि सह शुभकामना दय रहल अछि।
तहिना मिथिलाक सपूत लोकनि सेहो दिल्ली विधानसभा पहुंचबा मे सफल भेलाह। जाहि में बुराड़ी सं ‘आप’क उम्मीदवार मैथिल पुत्र संजीव झा एकबेर पुनः अपन निकटतम प्रतिद्वंदी अपनहि जेष्ठ भा्रता समान बीजेपीक उम्मीदवार मैथिल पुत्र गोपाल झा केर लगभग 67950 मत सं पराजित कय विजय प्राप्त कएलनि। जाहि में संजीव केर लगभग 124724 मत भेटलनि तअ दोसर दिस हुनक सबसं निकटतम प्रतिद्वंदी गोपाल झा केर लगभग 56774 मत भेटलनि।
किराड़ी विधान सभा सं ‘आप‘क उम्मीदवार मैथिलपुत्र ऋतुराज गोविन्द झा अपन निकटतम प्रतिद्वंदी बीेजेपीक उम्मीदवार मैथिल पुत्र अनिल झा केर लगभग 44953 मत सं पराजित कय पहिलबेर चुनाव लड़ैत विजय प्राप्त केलनि। एहि चुनाव मे ऋतुराज गोविन्द झा कें लगभग 97727 मत भेटलनि तअ दोसर दिस हुनक निकटतम प्रतिद्वंदी बीेजेपीक उम्मीदवार मैथिल पुत्र अनिल झा केर लगभग 52555 मत भेटलनि।
तहिना जनकपुरी विधानसभा सं ‘आप’क उम्मीदवार मैथिल पुत्र राजेश ऋषि अपन निकटतम प्रतिद्वंदी बीेजेपीक कद्दावर उम्मीदवार प्रो. जगदीश मुखी केर लगभग 25580 मत सं पराजित कय पहिलबेर चुनाव लड़ैत विजय प्राप्त केलनि। एहि चुनाव मे राजेश ऋषि कें लगभग 71802 मत भेटलनि तअ दोसर दिस हुनक निकटतम प्रतिद्वंदी बीेजेपीक उम्मीदवार प्रो. जगदीश मुखी कें लगभग 46222 मत भेटलनि।
सभार:- मिथिला मिरर