मिथिला मैथिली आंदोलन कें एकटा आओर सार्थक डेग तखन भेटल जखन भारत संचार निगम लिमिटेड अर्थात बीएसएनएल मिथिला क्षेत्र मे मोबाइल पर सांकेतिक भाषा कें मैथिली मे शुरू कऽ देलक । बीएसएनएल द्वारा शुरू कैल गेल अहि उद्घोषणाक बाद आब जौं अपने मिथिला क्षेत्र मे कोनो बीएसएनएल’क मोबाइल पर फोन करब त ओहि ठाम सं सांकेतिक भाषा अपन मैथिली मे सुनवा मे भेटत। जेना कि जौं अपने किनको फोन कऽ रहल छी आओर हुनकर फोन व्यस्त छन्हि त ओहि पर अपने कें जे सूचना देल जायत ओ अहि प्रकारेण अछि। ‘अपने जाहि मोबाइल नंबर पर संपर्क करय चाहैत छी ओ एखन व्यस्त छैथ, कृपा कऽ किछु देर बाद पुनः बात करू।’
मिथिला क्षेत्र मे मैथिली मे उद्घोषणाक बाद आब मैथिली भाषा मे बीएसएनएलक काॅल सेंटर अतिशीघ्र खुजय जा रहल अछि जाहि कें बाद मिथिलाक कतेको युवा-युवति कें ओहि काॅल सेंटर मे काज करवाक अवसर भेटतनि। बीएसएनएल द्वारा मैथिली मे मोबाइल पर उद्घोषणा शुरू केलाक बाद आब बहुत जल्द आन-आन नेटवर्क पर सेहो मैथिली मे उद्घोषणा हेवाक आशा कैल जा सकैत अछि। हालांकि आइ जे कामयाबी भेटल अछि ओहि मे किछु मैथिल संस्था जोर-शोर सं अपन अवाज सेहो बुलंद केने छलाह।
 
Top