मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलैथ जे विश्व प्रसिद्ध मिथिला पेंटिंग के जीवंत रखवाके लेल एहीठाम मिथिला पेंटिंग संस्थान खोलवाक सभटा औपचारिकता पूर्ण कैल जा चुकल अछि। मिथिला पेंटिंग के विकास सँ मिथिला के प्राचीन कला संस्कृति विश्व स्तर पर फेर सँ अप्पन पहचान कायम करवा मे सफलता हासिल करत। नीतीश कुमार रविवार के स्थानीय वाट्सन स्कूल के मैदान मे सूबे के पर्यटन विभाग आ जिला प्रशासनक सौजन्य सँ आयोजित दू दिवसीय मिथिला महोत्सव के संबोधित कर रहल छला।
नीतीश कुमार मिथिलांचल के कला संस्कृति आ ऐतिहासिक धरोहर के भूमि कहैत कहलैथ जे प्राचीन इतिहास मे मिथिला के चर्चा प्रमुखता सँ भेटैअ अछि। जरूरत अछि एही के फेर सँ जीवंत करवाके। मैथिली भाषा के अतिप्रिय बताबैत कहलैथ जे मैथिली सीखवा मे कोनो दिक्कत नै आवैत अछि। ओ कहलैथ जे एहीठाम के प्राचीन धरोहर के देखवा सँ स्पष्ट होईत अछि जे इतिहासक पन्ना पर धूपक परत जमल अछि। जिलाक बलिराजगढ़ के खुदाई सँ इतिहास मे नव पन्ना जुड़त। जिला मे पर्यटन स्थल के अपार संभावना अछि। 
खान एवं भूतत्व तथा कला संस्कृति आ युवा विभाग के मंत्री राम लषण राम रमण कहलैथ जे मिथिलांचल कला संस्कृतिए नै राजनीति आ आध्यात्म के क्षेत्र मे सेहो बहुते आंगा रहल अछि। पर्यटन विभाग के मंत्री जावेद इकबाल अंसारी कहलैथ जे बिहार के पर्यटन स्थलक विकास कार्य बहुते तेजी सँ चली रहल अछि। एहीठाम के पर्यटन स्थल के देश स्तर पर स्थापित कैल गेला सँ पर्यटक के आकर्षण बढ़ल अछि।
महोत्सव मे मंत्री विजय कुमार चौधरी, विधान परिषद याचिका समिति के अध्यक्ष प्रो. बिनोद कुमार सिंह, बिहार राज्य योजना पर्षद सदस्य संजय कुमार झा, जिप अध्यक्ष नसीमा खातून, विधान पार्षद उदयकांत चौधरी, विधायक ऋषि मिश्रा सहित अन्य अतिथिगण उपस्थित छलाह। नागेन्द्र यादव के अध्यक्षता मे मिथिला महोत्सवक मौका पर डीएम गिरिवर दयाल सिंह आ नगर परिषद के कार्यपालक पदाधिकारी जटाशंकर झा के हाथ मुख्यमंत्री श्री कुमार सहित उपस्थित अतिथि के पाग-दोपटा भेंट कैल गेला।
 
Top